हार्डिंग पार्क कए भेटत नव रूप

kuwar
वीर कुंवर सिंह आजादी पार्कक नाम स बनि रहल अछि नव पार्क
पटना। हार्डिग पार्क मे प्रस्तावित वीरकुंवर सिंह आजादी पार्क क अड़चन दूर भ गेल। जल्द एकर निर्माण क काज प्रारंभ भ जाइत। जानकारी क अनुसार सरकार एकरा माडल पार्क क रूप मे विकसित करै चाहैत अछि। 20.71 एकड़ मे एकर विस्तार भ रहल अछि। एहि मे स्वतंत्रता संग्राम मे बिहार क योगदान स जुड़ल चीज भेटत। कंसेप्ट प्लान क अनुसार पार्क मे मुक्ताकाश मंच, साउंड एण्ड लाइट शो, फोर-डी मैक्स थियेटर, म्यूजियम, साइंस सेंटर क सेहो प्रावधान रहत। हर हाल मे हरियाली क पूरा व्यवस्था रहत। एहि मे अर्बन हाट कए ग्राउंड फ्लोर मे शापिंग एरिया क संग शामिल कैल गेल अछि। रोड क आर-पार जेबा लेल स्काई वाक सेहो बनाउल जाइत। ओतहि आरब्लाक चौराहा आब आंदोलनकारी क लेल धरना स्थल बनि चुकल अछि। ताहि लेल ओकर नामकरण सेहो आंदोलन स्थल कैल जा रहल अछि। ज्ञात हुए जे पटना मे एहि स पहिने हड़ताली मोड़ पर आंदोलनकारीक जमघट रहैत छल, मुदा आब ओ स्थान खाली कराउल जा चुकल अछि।
सरकार पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशिप (पीपीपी) फार्मूला क तहत जमशेदपुर क विजेता कंस्ट्रक्शन एण्ड कौशल कंचन कंसोर्टियम कए आजादी पार्क क निर्माणक जिम्मा सौंपलक अछि। इंफ्रास्ट्रक्चर डेवलपमेंट फाइनांस कंपनी कए परामर्शी नियुक्त केलक अछि । बुद्ध स्मृति पार्क परियोजना क लेल विकास आयुक्त क अध्यक्षता मे गठित स्पेशल पर्पस व्हेकिल एहि आजादी पार्क क विकास काज क मानीटरिंग सेहो करत। आजादी पार्क क लेल सरकार दू बेर निविदा आमंत्रित केने छल, मुदा कोनो कंपनी एहि मे दिलचस्पी नहि लेलक। अंतत: विजेता कंस्ट्रक्शन क एकल प्रस्ताव कए हरी झंडी द देल गेल। जल्द एकर औपचारिकता पूरा कैल जाइत आओर पटना मे एकटा आओर सुंदर पार्क देखबाक सपना पूरा होइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें