हाथ स हाथ जुडल त बनि गेल सडक

छौड़ाही । ग्रामीण अपनी लगन आ मेहनत स बता देलथि अछि जे अगर सरकार हुनकर क्षेत्र क विकास करबा मे देरी करि रहल अछि त ओ खुद इ काज करबा लेल तैयार छथि। चाहे धन क मामला हुए या शारीरिक श्रम क, ओ हर प्रकार स विकास लेल तैयार छथि। कम स कम अमारी गाम क ग्रामीण त एकरा सिद्ध करि देलथि अछि। मात्र 18 दिन मे ग्रामीण आपसी सहयोग स दू हजार फुट लंबा सड़क क निर्माण केलथि अछि जे 20 वर्ष स जर्जर छल।
अमारी डीह मे नोनियां, धुनिया, अल्पसंख्यक आ अत्यंत पिछड़ल जाति क लगभग एक सौ परिवार रहैत अछि। सड़क निर्माण मे श्रमदान करि रहल महिला मरनी देवी, शबनम खातून, शकीला कहैत छथि, हुजूर बरसात त छोडू़ दियउ, सब दिन पानी लागल रहैय छै।
ग्रामीण क कहब अछि जे बीस साल स विधायक आ सांसद स समय-समय पर सड़क निर्माण क लेल कहल जाइत छल, मुदा कोनो काज नहि भेल। सडक जर्जर हेबाक कारण दोसर गाम क लोक एहि ठाम संबंध रखबा स सेहो कतरा रहल छलाह।
एहि सब कए देखलाख बाद सब गोटे एकर निर्माण करबाक फैसला कैल अछि। महिला-पुरुष-बच्चा आ बूढ सब श्रमदान स सड़क निर्माण करि देलथि अछि। लगभग अठारह दिन मे एहि सड़क क निर्माण कार्य पूरा भ गेल अछि। ग्रामीण बिना कोनो परवाह कए अपन घर क ईट सेहो सड़क मे लगा देलथि अछि। इ गौर करबाक गप अछि जे एहि मोहल्ला म रहनिहार अधिकतर गरीब छथि, मुदा हिम्मत हौसला आ जज्बा क आगू गरीबी हारि गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments