हाजीपुर मे खुलत साइकिल कारखाना

पटना । बिहार देशक सबस पैघ साइकिल बाजार है, मुदा एखन धरि बिहार मे साइकिल कारखाना नहि छल। एखन धरि बिहार मे लोहा आ बाजार भेलाक बावजूद पंजाब मे बनल साइकिल बिहार मे बिकाइत छल। मुदा आब हाजीपुर मे साइकिल फैक्ट्री लगबाक उम्मीद जगल अछि। देश क प्रमुख कंपनी टीआइ साइकिल्स अपन कारखाना खोलबा लेल जमीन ल लेलक अछि। इंडिगो एयरवेज सेहो राज्य मे पैघ निवेश करत। पटना मे एकर चारि सितारा होटल बनत। नीतीश सरकारक दोसर कार्यकाल मे निवेशक गति पहिल कार्यकाल स तेज अछि आ एखन धरि कुल 1500 करोड़ क निवेश भ चुकल अछि। ब्रिटेनिया, पार्ले, नेस्ले, गोदरेज जइसन कंपनी प्रदेश मे आबि चुकल अछि। राज्य निवेश प्रोत्साहन पर्षद (एसआइपीबी) क मंजूरी भेटलाक बाद तुरंत उद्योग विभाग टीआइ साइकिल्स कए जमीन उपलब्ध करा देलक अछि। उद्योग विभाग क प्रधान सचिव सीके मिश्रा क कहब अछि जे कंपनी बहुत जल्द साइकिल क उत्पादन आरंभ करि देत। ओना, कंपनी स एहन कोनो समझौता नहि भेल अछि जे ओकर बनाउल साइकिल मुख्यमंत्री साइकिल योजना क तहत खरीदल जाएत। मुदा बिहार मे बनल साइकिल क मांग बिहार मे अपने आप बढि जाएत।
टीआइ साइकिल्स क अलावा इंडिगो एयरवेज पटना मे एकटा फोर स्टार होटल बनाउत। एक माह क अंदर एकरा शहर क अंदर दू एकड़ जमीन मुहैया करा देल जाएत। ओ कहला जे निवेशक सरकार कए दोबारा सत्ता मे एबाक बाट ताकि रहल छलाह। सरकार ब्रिटेनिया, पार्ले, नेस्ले, गोदरेज आदि कंपनी कए जमीन मुहैया करा देलक अछि। अगिला एक माह क अंदर 200-250 करोड़ क आओर निवेश भ जाएत। इ सच अछि जे बहुत पैघ निवेश नहि भ रहल अछि मुदा बिहार मे निवेशक माहौल बनब उत्साहक गप अछि। राज्य क विभिन्न इलाका मे कारखाना खुलि रहल अछि। ककरो रोहतास मे जमीन देल जा रहल अछि, त ककरो बेतिया मे। एहि स उद्योग क डिस्पर्सल सेहो भ रहल अछि। देखल जाए त एखन धरि निवेश क 53 प्रस्ताव सरजमीन पर उतरि चुकल अछि, जेकर कारण स करीब 2,000 करोड़ टकाक निवेश भेल अछि। निवेश क सिलसिला शुरू भ चुकल अछि। उम्मीद कैल जा सकैत छी जे आगू पैघ कारखाना सेहो खुलत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments