हाजीपुर-मुजफ्फरपुर फोरलेन बरसात क बाद

मुजफ्फरपुर। एनएच 77 यानी हाजीपुर-मुजफ्फरपुर मुख्य मार्ग पर फोरलेन क निर्माण आब बरसात क बाद शुरू भ सकत। ओना एकरा लेलतमाम कानूनी औपचारिकता पूरा भ चुकल अछि। एहि प्रोजेक्ट कए पूरा करबा लेल दू वर्ष क अवधि निर्धारित कैल गेल अछि। इ जानकारी फोरलेन निर्माण क लेल नियुक्त गैमन इंडिया लिमिटेड क उपाध्यक्ष बीके सिंह देलाह अछि। ओ कहला जे लगभग 63 किलोमीटर लंबा एहि सड़क कए फोरलेन मे बदलबाक ठेका हनकर कंपनी कए भेटल अछि। पटना आ हाजीपुरक बीच महात्मा गांधी सेतुक निमार्ण करनिहार एहि कंपनीक दावा अछि जे ओ एहि परियोजना कए ल कए काफी गंभीर अछि। सिंह क कहब अछि जे बरसात शुरू भ चुकल अछि एहन मे काज शुरू करब संभव नहि अछि। बरसात क बाद युद्ध स्तर पर काज शुरू कैल जाएत। ओ कहला जे दू साल मे काज कए कोनो हालत मे पूरा करि लेल जाएत। हाजीपुर स लकए मुजफ्फरपुर तक कई स्थान पर एक संग काज शुरू होएत। काज सुचारु रूप स हुए एकरा लेल हाजीपुर- मुजफ्फरपुर क अलावा भगवानपुर आ कमतौल मे शाखा कार्यालय खोलल जा रहल अछि। गौरतलब अछि जे काफी मशक्कत क बाद एनएचडीपी फेज-2 क तहत एहि राजमार्ग कए फोरलेन बनेबाक योजना पास भ सकल अछि। कई बेर टेंडर निकलल, मुदा कोनो कंपनी आगू नहि आईल छल। कई बेर एहि मे पेंच सेहो फंसैत रहल। आब जाकए एहि सड़क कए बनबाक सपना पूरा होइत देखा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. We be aware like Im continuously searching through reason of welcoming things to pore over near by numerous topics, but I be successful to incorporate your own install among my personal scans each and every life time since you provide delivery to compelling records which i look forth to.

Comments are closed.