हर शब्‍द गीत बनि जाइत अछि दरभंगा मे : मालिनी अवस्‍थी

दरभंगा। आनंदबाग पैलेस क दरबार हॉल मे प्रवेश करैत केकर कंठ स शब्द गीत बनि कए नहि फूटि पडत। हम की, कोनो कलाकार एहि ठाम आबि कए वशीभूत भ जाएत। इ उदगार अछि सुप्रसिद्ध लोक गायिका मालिनी अवस्थी क। मालिनी दरभंगा मे ईटीवी क लोकप्रिय कार्यक्रम फोक जलवा क ऑडिशन लेबा लेल आयल छथि। पत्रकार संग गप करैत मालिनी अवस्थी कहलथि जे दरभंगा त संगीत क पीठ अछि, ओहि पर स मैथिली क मिठास एहि दरबार हॉल क वातावरण मे घुलिकए एकटा अलग प्रकारक खुशबू स ककरो सराबोर करबा लेल काफी अछि। इ त एहन जगह अछि जाहि ठाम बेसुरा त सुर मे भ जाएत। एहि ठाम गायब अपने आप मे काफी अछि…ओ कहलथि जे ओ अवध स एलीह अछि आ मिथिला त माता सीता क जन्म भूमि छी। अवध आ मिथिला क पुरान सम्बन्ध अछि। ओ एहि संबंध कए लोक गीत क माध्यम स आओर प्रगाढ़ बनेबाक प्रयास क रहल छथि। मालिनी आदि कवि विद्यापति कए नमन सेहो केलथि। मालिनी राज दरभंगा क संगीत प्रेम आ एहि ठामक संगीत घराना कए संगीत कए आगू बढेबा मे देल गेल योगदान क सराहना केलथि। ओ दरभंगा क संगीत घराना क दुनिया भरि मे पसरल ख्याति क बारे मे सेहो कहलथि। ओ मिथिला आ कामेश्‍वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय क विशाल परिसर कए देखि क राज दरभंगा क सरोकार कए मुक्त कंठ स सराहना केलथि। मालिनी कहलथि जे ओ बहुत दिन स दरभंगा एबाक इच्‍छा रखैत छलीह, मुदा आइ जा कए हुनकर इच्‍छा पूर्ण भेल। ओ कहलथि जे दरभंगा ओ बेर बेर एबा लेल तैयार छथि। एकटा सवाल क उत्‍तर मे ओ कहलथि जे कोनो भाषा फूहड़ नहि होइत अछि, अपन व्यावसायिक मतलब लेल किछु लोक ओकरा मे फूहड़पन आनि दैत अछि। एकरा लेल केवल कलाकार दोषी नहि अछि। ऑडिशन मे नवोदित गायक-गायिका सब भाग लेबा लेल भोर स कतार मे लागि गेल छलथि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments