हरनौत रेल कारखाना स निकलल पहिल डिब्‍बा

हरनौत । भारतीय रेलवे मे हरनौत रेल कारखाना एकटा नव इतिहास जोडि देलक अछि। 2 फरवरी 2013 क सांझ मे हरनौत रेल कारखाना स पहिल रेल डिब्‍बा मरम्‍मत क बाद दानापुर पठाउल गेल। कारखाना स निकलल एहि पहिल खेप में कुल चारिटा डिब्‍बा अछि जे पीरियॉडिक ओवर हॉलिंग क बाद ट्राइल लेल दानापुर पठाउल गेल अछि। सायरन इंजन क संग जखन इ डिब्‍बा सब कारखाना स निकलल त ओहि ठाम काज केनिहार सब एक दोसर कए बधाई दैत देखल गेलाह। एहि चारिटा डिब्‍बा मे स तीनटा साधारण डिब्‍बा अछि जखन कि एकटा श्‍यानयान अछि। मुख्‍य कारखाना प्रबंधक राधेश्‍याम शर्मा कहला जे हरनौत लेल इ एतिहासिक दिन छी। आब पूर्व मध्‍य रेवले कए डिब्‍बाक कमी नहि रहत। पहिने मरम्‍मत लेल डिब्‍बा कए या त लिलुआ(बंगाल) या गोरखपुर(उत्‍तरप्रदेश) पठाउल जाइत छल, मुदा आब डिब्‍बाक मरम्‍मत हरनौत(बिहार) मे संभव भ गेल। ओ कहला जे 15 अगस्‍त कए कुल 12टा कोच मरम्‍मत लेल हरनौत पठाउल गेल छल जाहि मे स चारिटा तैयार भ आइ विदा भ गेल जखनकि आठ टा मरम्‍मतक अंतिम चरण मे अछि। ओ कहला जे किछु आवश्‍यक उपकरण क आपूर्ति मे भ रहल देरीक कारण मरम्‍मत मे देरी भ रहल अछि, मुदा एहि समस्‍या कए अगिला मास तक खत्‍म क लेल जाएत। ओ विश्‍वास जतौलाह जे हरनौत कारखाना प्रतिवर्ष 600 रेल डिब्‍बाक मरम्‍मत क अपन लक्ष्‍य पाबि लेत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments