हम भ सकैत छी चीन स आगू


पटना । बदहाल बिहार जखन किछु साल मे विकास क गाथा लिख सकैत अछि त भारत सेहो चीन स आगू निकलि सकैत अछि। बिहार मे त आइ विकास क धारा बहि रहल अछि। खुलि रहल नव-नव शिक्षण संस्थान विकास कए गति द रहल अछि। इ उदगार शनिदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार चन्द्रगुप्त प्रबंधन संस्थान क पहिल दीक्षांत समारोह मे रखलथि। मुख्यमंत्री कहला जे राज्य मे चन्द्रगुप्त प्रबंधन संस्थान प्रतिभा कए तकबा क काज करि रहल अछि। ओ संस्थान क छात्र कए सलाह देलथि जे ओ समाज मे विकास क रोल माडल बनथि। ओ कहला जे हाल क वर्ष मे देश क विभिन्न क्षेत्र मे आईआईटी खोलल गेल, जाहि मे पटना आईआईटी क प्रदर्शन काफी नीकरहल। राज्य मे प्रतिभा क कोनो कमी नहि अछि, जरूरत अछि ओकरा सही दिशा देबाक। ओ कहला जे संस्थान क लेल भवन निर्माण क कार्य जारी अछि आ अगिला दीक्षांत समारोह संस्थान क अपन भवन मे होएत। संस्थान क निदेशक डॉ बी मुकुन्द दास कहला जे संस्थान क छात्रा कए सौ प्रतिशत रोजगार क व्यवस्था कैल गेल अछि।
केन्द्रीय मंत्री जयराम रमेश क गाउन कए गुलामी क प्रतीक बतेबा पर मुख्यमंत्री कहला जे गाउन पहिरब भारतीय परंपरा नहि अछि। मुदा एखन एकर दोसर कोनो विकल्प तैयार नहि अछि। प्राचीन काल मे नालंदा विश्वविद्यालय काफी प्रसिद्ध रहल अछि, मुदा ओहि स संबंधित पुस्तक मे गाउन क कतहू जिक्र नहि भेटैत अछि। ओना इ बेकार क बोझ सेहो लगैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments