हम बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार छी


मदनपुर (औरंगाबाद)। हमर नाम नीतीश कुमार छी आ हम बिहारक मुख्यमंत्री छी। जी हां, अपन राज्य मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए अपन इ परिचय देबा लेल मजबूर हुए पड़ल। भेल इ जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी विश्वास यात्राक दौरान मदनपुर स्थित कस्तूरबा गांधी आवासीय विद्यालय निरीक्षण करबा लेल पहुंचलाह। शिक्षकक कहबा पर ओहि विद्यालय मे पढ़ैवाली छात्रा पहिने हुनका तिलक लगा कए स्वागत केलक आ पुष्प बरसेलक। एकर बाद विद्यालय प्रांगण मे स्वागत गान स मुख्यमंत्री क स्वागत भेल। एहि बीच छठम कक्षा क एकटा छात्रा आ बरई बिगहा निवासी विभा कुमारी क लग पहुंचलीह आ हुनका परिचय पूछलथि। विभाक सवाल छल, आपका नाम क्या है, एहि पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हंसैत जवाब देलाह, हम बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार छी। एकर बाद मुख्यमंत्री अपन बगल मे बैसल उपमुख्यमंत्री आ सांसद कए सेहो अपन-अपन परिचय देबा लेल कहलथि।
एहि स पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी विश्वास यात्रा क दौरान मदनपुर प्रखंड मुख्यालय क खेल मैदान मे विशाल जनसभा कए संबोधित केलथि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मदनपुर प्रखंड स्थित प्रखंड आ अंचलाधिकारी कार्यालय मे घंटा स बेसी काल बैस फाइल क निरीक्षण केलथि। खास क भूमि अतिक्रमण, सरकारी भूमि पर कब्जा, भूमि विवाद आ बेदखली स संबंधित फाइल क मौका पर ओ गहन निरीक्षण करि ओकर निदान हेतु आवश्यक दिशा-निर्देश देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments