हम फेर बिहार आयब : अमिताभ

पटना। फिल्‍म अभिनेता अमिताभ बच्चन कहला अछि जे बिहार संबंध मे जे सुनल छल सबटा देख रहल छी। बिहार मे बदलाव देखा रहल अछि। एहि यात्रा मे बहुत किछु नहि देख पेलहुं मुदा जल्‍द फेर आयब। प्रकाश झा क फिल्म ‘आरक्षण’ क प्रचार क सिलसिला मे राजधानी पटना आयल बच्‍चन कहला जे बिहार आब विकासक बाट पर चलि चुकल अछि आ एहि ठामक लोक अगर चाहिये लेलक अदि त बिहार कए आगू बढबा स कियो नहि रोकि सकैत अछि। बच्चन कहला जे एहि ठाम आबि कए हुनकर मन गदगद अछि। बिहार मे हुनका केवल बदलाव टा नहि बल्कि बहुत रास फैन स सेहो भेंट करबाक मौका भेटल। काफी समय क बाद बिहार एलाह पर बच्‍चन कहला जे आब एहन अंतराल नहि, हम बस एकटा अल्‍प विराम क बाद फेर बिहार आयब।
एहि स पूर्व पटना पहुंचला पर अमिताभ बच्‍चन पूरा यूनिट क संग मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स हुनकर आवास पर भेंट केलथि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री कहला जे ओ खुद सीनियर बच्चन क फैन रहला अछि। मुख्यमंत्री बहुत गर्मजोशी क संग ‘बिग बी’ कए अपन आधिकारिक आवास पर स्वागत केलथि। दूनू गोटे क बीच करीब 20 मिनट तक गप भेल। एक बाद पत्रकार स गप करैत बच्चन कहला जे बिहार मे बदलाव जे देखा रहल अछि एकर क्रेडिट नीतीश कुमार कए भेटबाक चाही। एहि अवसर पर निर्देशक प्रकाश झा आ अभिनेता मनोज वाजपेयी सेहो उपस्थित छलाह। प्रकाश झा मुख्यमंत्री कए आगामी 12 अगस्त कए रिलीज भ रहल फिल्म आरक्षण देखबा क न्‍योत सेहो देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.