हम छी चाइल्ड रिपोर्टर

पटना मे कम्यूनिटी रेडियो क प्रसारण शुरू। एहि रेडियो आ एकर रिपोर्टर के समाद द रहल छथि समदिया उज्जवल कुमार
redio1
इ छी कम्यूनिटी रेडिया, आब अहांक समक्षछोट बच्चा क कार्यक्रम ‘छोटी-छोटी बातेंÓ पेश हुए जा रहल अछि। एखन धरि इ वाक्य ऑल इंडिया रेडियो पर सुनैत छलहुं ,मुदा आब इ वाक्य नैनकिरबा सम्राट बदलि देलक अछि। अजय क उद्घोषणा एकटा इतिहास रचि देलक। नव ताजगी अजयक मुह पर सेहो देखल जा सकैत अछि। अजय कए अपनो विश्वास नहि होइत अछि जे इ ओकर आवाज छी। प्रोग्राम आधा घंटा चलैत अछि। एहि कार्यक्रम मे कई गोटेक भागीदारी अछि। कियो श्रोता कए बाल मजदूरीक गप कहैत अछि त कियो शहर क गंदगी क चर्चा करैत अछि। इ कोई आओर नहि हमर अहांक पटना क चाइल्ड रिपोर्टर छथि जे मीडिया कए एकटा नव ऊर्जा देबाक सोच लग कए आगू बढ़लथि अछि। कम्यूनिटी रेडियो पर काज करि रहल एहि बच्चा लोकनिक संख्या 40 अछि आओर इ सिटी रिपोर्टर क रूप मे कार्यरत छथि।
आसमान कए छूबाक जिद
मन मे आसमान छूबाक जिद हुए त कोनो काज कठिन नहि भ सैत अछि। जी हां, किछु एहने जिद अछि पटनाक एहि बच्चा सब मे। पटना क सम्राट जे अपन सपना कए पूरा करबा लेल कसम खा चुकल छथि। इ नहि त इंजीनियर बनबाक इच्छा रखैत छथि आ नहि डॉक्टर, समाज क प्रति संवेदना रखनिहार इ बच्चा अपन जीवन स सबक ल कए पत्रकार बनलाह अछि। मीडिया क क्षेत्र मे आबि कए इ समाज क संग मीडिया क बिगड़ैत छवि कए सेहो सुधारब चाहैत छथि। एहि संबंध मे रिपोर्टर नीलू कहैत छथि,’हम अपन दुनिया अपने बेनलहु अछि।Ó
एना भेल सपन पूरा
redio
अजय ईंट भट्टा पर दुकान मे काज करैत छलाह। 13 साल क अजय हरदम सोचैत छल जे केना ओ एहि व्यवस्था कए बदलबा मे अपन योगदान द सकैत अछि। ओतही बेबी क सपना छल जे काश ओ पैघ-पैघ लोक स भेंट करि सकय। ओ अपन आवाज कए दुनिया क सामने रखय चाहैत छल। दोसर दिस घर-घर मे चूड़ी बेचैयवाली निकिता अपना कए एतबा ऊपर पहुंचाबै चाहैत छल जे हर कोई चिन्ह लिये। इ कहानी मात्र हिनकरेनहि अछि, बल्कि हिनका सन ढेरो बच्चा अछि जे अपन जीवनक संग-संग अपना सन आन बच्चाक जीवन कए सेहो बेहतर बनेबा लेल तैयार भ रहल अछि। आजाद बचपन हिनका लोकनि कए एकटा मौका देलक अछि आ इ सब निकल पड़लथि अछि अपन सपना कए पूरा करबा लेल।
अनपढ़ छथि रिपोर्टर
चाइल्ड रिपोर्टर अधिकतर अनपढ़ छथि। कहल जाइत अछि जे जीवन मे जे किछु अनुभव मे भेटल ओ हरदम किछु नव करबाक क्षमता दैत अछि। एहि संबंध मे नीलू कहैत छथि शिक्षा मंत्री हरि नारायण सिंह क साक्षात्कार क लेल हम तीन दिन तक बाट तकने रही, तखन जा कए ओ हमरा समय देलथि। ओतहि बेबी एखन धरि नितिन नवीन, सुशील कुमार मोदी, अवधेश नारायण सिंह क साक्षात्कार ल चुकली, त निकिता उदय नारायण चौधरी आ श्याम रजक क साक्षात्कार लेलथि अछि।
photo by: biharnewspix

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. हमर व्यक्तिगत सोच अछि कि आब एहेने खबरक भविष्य छै। मीडिया,पाठक व दर्शक क एहेने खबर अपन तरफ आसानी सं आकर्षित क ले छै। अहांक पोर्टल पर इ खबर पढि क हमर सोच क बल भेटल। काफी निक चीज होइ छे कम्युनिटी रेडियो। कम बजट में ऐसे निक मीडिया में उद्यम कोनों नही अछि। एक बेर फेर सं समाद टीम क शुक्रिया, इ खबर लेल।

Comments are closed.