हम करि त जातिवाद, आन करए त सोशल इंजीनियरिंग: लालू

पटना । राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद इ स्वीकार केलथि जे ओ अपन गप जनता तक पहुंचेबा मे विफल रहलाह। पार्टीक हार पर बजाउल गेल बैठक मे करीब एक घंटाक अपन भाषण मे ओ कहला जे एनडीए शासन मे सामाजिक न्याय क धारा कए शून्य करबा लेल विकास क टोपी पहनाउल जा रहल अछि। ओ कहला- हमरा पर जातीयता कए बढ़ावा देबाक आरोप लगाउल जाइत अछि, जखनकि एहन काज कोनो दोसर नेता करैत अछि त ओकरा सोशल इंजीनियरिंग कहल जाइत अछि। हम छह मास तक किछु नहि बाजब, बल्कि सरकार कए जनता स कैल वायदा कए पूरा करबाक क मौका देब। ओ कहला जे पार्टी मे असंतोष अछि, हम एक-एक कार्यकर्ताक गप सुनबा लेल तैयार छी।
एहि स पूर्व विधानसभा चुनाव मे भेटल ऐतिहासित हार पर विचार करबा लेल राजद नेता सब दू दिन तक गहन मंथन केलथि, ओना एहि समुद्र मंथन स अमृत कम आ जहर बेसी निकलल। लालू कए नीतिश अर्थात महादेव बनबा लेल कहल गेल, अनुरोध कैल गेल जे ओ मंथन स निकलल जहर कए ग्रहण करि आ नैतिक आधार पर पद त्याग दी। लालू चुपचाप सुनैत रहलाह। मुदा पार्टीक आन नेता मुखर भ बजलाह लालू कए नीतिश बनबाक जरूरत नहि। पार्टी उपाध्यक्ष रघुवंश प्रसाद सिंह कहला जे पार्टी मे विश्वासक कोनो कमी नहि अछि। पार्टी क प्रदर्शन ओतबा खराब नहि रहल, जेतबा सीट देख बुझा रहल अछि। हमरा सब कए जनताक खूब समर्थन भेटल अछि। राजद स महज किछु फीसदी बेसी वोट राजग कए भेटल, हां इ जरूर चिंताक विषय अछि जे एतबा कम समर्थन क बावजूद सीट मे एतबा अंतर कोना भ गेल। रघुवंश बाबू एक बेर फेर बिहार मे राजग स मुकाबला करबा लेल कांग्रस सन पार्टी स गठबंधनक वकालत कैलथि। ओ कहला जे सब गोटे कए एक मंच पर आबि राज्य मे बढैत सांप्रदायिक ताकत स मुकाबला करबाक चाही। प्रतिपक्ष क नेता अब्दुलबारी सिद्दीकी, पूर्व केन्द्रीय मंत्री रघुनाथ झा, शकील अहमद खां, गुलाम गौस, उदय मांझी, वीणा शाही, शकुनी चौधरी सहित कई गोटे हार क कारण पर प्रकाश देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments