हम अमिताभ क बेटा छी, प्रणाम : अभि

पटना । अभिषेक बच्चन अपन नवका फिल्म दम मारो दम क प्रमोशन करबा लेल पटना आएल छलाह। एहि दौरान ओ अपना कए एकटा बिहारी जइसन देखबा क खूब कोशिश केलाह। ओ फिल्म निर्देशक रोहन सिप्पी आ सह कलाकार राणा दुग्गावती (तमिल सिनेमा क लोकप्रिय अभिनेता) क संग लिट्टी-चोखा, धनिया क चटनी आ सलाद क स्‍वाद चखलाह । होटल मौर्या क सीनियर जीएम बीडी सिंह क मुताबिक हुनका लेल शुद्ध घी मे लिट्टी, आलू-बैंगन क चोखा, धनिया क चटनी आ ग्रीन सलाद तैयार कैल गेल छल। उज्‍जर शर्ट आ ब्लू जींस मे अभिषेक बच्चन राजधानी मे करीब चारि घंटा रहलाह। दुपहरिया मे करीब ढाई बजे अभिषेक मीडिया स स गप केलाह। सबस पहिने ओ हाथ जोडि कए अभिवादन केलथि। कहला-नमस्कार। ओना होटल मौर्या स 3.50 बजे अभिषेक बच्चन मोना सिनेमा पहुंचलाह। हुनका देखैत देरी लोकक मजमा लागि गेल। ओहि समय मे मोना मे अक्षय कुमार क फिल्म थैंक यू चलि रहल छल। लोक सिनेमा छोडि हाल स बाहर निकलए लागल। एकर बाद कनि काल लेल फिल्‍म कए रोकि देल गेल। फेर अभिषेक बच्चन अपन संगिक संग सीधा दर्शक क बीच पहुंचलाह आओर अपन परिचय किछु एना देलथि- हम अमिताभ बच्चन क बेटा छी अभिषेक बच्चन..। अहां सब कए प्रणाम करैत छी आओर नमस्कार सेहो!
अचानक अपन बीच अभिषेक कए देखि कए दर्शक सेहो हैरान भ गेलथि आ ताली बजा अपन भावना कए प्रकट केलथि। लोक क इ आदर देखि अभि सेहो भाव विभोर भ बिहारक बदलल मिजाज कए प्रकट करबा मे पाछु नहि रहलाह।
एकर बाद अभिषेक अपन पिता अमिताभ बच्चन क मित्र आ देशक सबस पैघ फिल्म पत्रकार सुभाष के झा क डेरा पर गेलाह। राजेंद्र नगर स्थित सुभाष के झाक डेरा पहुंचला पर ओहि ठाम लोकक उत्‍साह देखि अभि मकानक छत पर जा लोक कए अभिवादन स्‍वीकार केलथि। किछु घंटाक एहि यात्राक दौरान बिहार क प्रति जिज्ञासा एहन बढल जे ओ बिहार मे राति बितेबा लेल अपन हवाई टिकट कए कैसिल करबा होटल मार्या क कोठली नंबर 301 कए बुक करबा लेलथि।  एहि प्रकार स अभि पटना मे राति बिता एहि एक दिनी यात्रा कए दू दिनी सेहो बना देलथि । ओ सोमदिन भोरका जहाज स विदा भेलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments