हमर आदेश पर की भेल एक्शन, चाही टोकेन रिपोर्ट: नीतीश

पटना। भ्रष्टाचार क खिलाफ तेज भेल शासन क जंग क दायरा विस्तारित भ रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए विकास यात्रा क दौरान पैध संख्या मे भ्रष्टाचार क शिकायत स जुड़ल आवेदन भेटल छल। मुख्यमंत्री पुलिस मुख्यालय स इ रिपोर्ट मंगलथि अछि जे विकास यात्रा क दौरान भ्रष्टाचार स जुड़ल आवेदन कए ओ कार्रवाई क लेल पठेने छलाह, आखिर ओहि पर की कार्रवाई भेल? नीतीश कुमार जल्द स जल्द एकर टेकेन रिपोर्ट सौंपबा लेल कहलथि अछि। एहि तरह क मामला क जिलावार मानीटरिंग करि रिपोर्ट बनेबाक अछि। एहन बहुत रास आवेदन सरकारी योजना मे हेराफेरी क शिकायत स संबंधित छल। सर्वाधिक शिकायत इंदिरा आवास भेटबा मे भ रहल गड़बड़ी स संबंधित छल। नीतीशक एहि फरमान स पदाधिकारी कए एहि ठंड मे पसीना आबि गेल, ओना एडीजी (पुलिस मुख्यालय) पीके ठाकुर कहला जे सरकारी योजना मे भ्रष्टाचार क शिकायत पर तत्काल कार्रवाई कैल जाइत अछि। मुख्यमंत्री क निर्देश पर ओकर तफ्तीश होइत अछि आ बहुत मामला मे एक्शन टेकेन रिपोर्ट तक देल गेल अछि। बाकी बचल रिपोर्ट पुलिस मुख्यालय सब जिला स मंगा रहल अछि

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments