हमरा जीवैत पटना विवि बनत केंद्रीय विवि : यशवंत

पटना। पूर्व केंद्रीय मंत्री आ लोकसभा सांसद यशवंत सिन्हा कहला अछि जे हुनकर जीवन काल मे पटना विश्वविद्यालय केंद्रीय विश्वविद्यालय बनत। ओ जाहि विश्वविद्यालय क छात्र आ शिक्षक रहला अछि, ओकरा केंद्रीय विश्वविद्यालय बनेबा मे कोनो कोर कसर नहि छोडताह। वर्तमान लोकसभा सत्र मे सेहो ओ पटना विश्वविद्यालय क मामला सदन मे उठेताह। बिहार राज्य नागरिक संघर्ष मोरचा क तत्वावधान मे कारगिल चौक पर आयोजित धरना कए संबोधित करैत श्री सिन्हा कहला जे पटना विश्वविद्यालय क मसला पर ओ गाम गाम यात्रा क जागृति अभियान चलेताह। दोसर दिस एसके मेमोरियल हॉल मे छात्र जदयू क राज्यस्तरीय अधिकार सम्मेलन कए संबोधित करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो कहला जे पटना विवि कए केंद्रीय विवि क दर्जा भेटबाक चाही। जखन केंद्र मे हमर जोर चलत त पटना विवि कए इ दर्जा दिया कए रहब।
मुख्यमंत्री कहला जे केंद्रीय विवि मसला पर जखन पटना मे जमीन मांगल गेल त राज्य सरकार इनकार क देलक किया त आइ नहि त काल्हि पटना विवि कए केंद्रीय विवि क दर्जा भेटबाक अछि। एकरा लेल जखन आवश्यकता होएत, त विवि क उपलब्ध जमीन क अलावा आम लोक स अनुरोध क केंद्रीय विवि क जरूरत क अनुसार जमीन उपलब्ध कराउल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments