हड़ताल पर गेल डीएमसीएच क जूनियर डॉक्टर

पटना। पटना क पीएमसीएच क जूनियर डॉक्टर कए हड़ताल परि गेलाह क बाद दरभंगा क डीएमसीएच जूनियर डॉक्टर सेहो हड़ताल परि चलि गेल। एहि स चिकित्सा व्यवस्था चरमरा गेल अछि। मरीज इलाज क अभाव मे तड़ैप रहल अछि। चिकित्सा क कोनो व्यवस्था नहि होवा स मरीज कए दोसर अस्पताल मे भेजल जा रहल अछि। दोसर ओर चिकित्सा व्यवस्था क सुचारु करबाक लेल अतिरिक्त चिकित्सक क तैनाती कएल गेल अछि। एहि बीच पीएमसीएच मे हड़ताल स 40 टा स बेसी मरीज क मौत भ चुकल अछि। मालूम हुए जे वेतनक वृद्धि क मांग क समर्थन मे पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल (पीएमसीएच) क जूनियर डॉक्टर कए हड़ताल लगातार जारी अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments