हटाउल जाएत केस

पटना। बिहार सरकार नेपाल क 11 माओवादी नेता क खिलाफ मुकदमा वापस लेबाक फैसला केलक अछि। हिनका सब कए जून 2004 मे पटना स गिरफ्तार कैल गेल छल। केन्द्रीय गृह मंत्रालय क अनुरोध क बाद इ कार्रवाई कैल गेल अछि। केन्द्रीय गृह सचिव आरके सिंह एहि सिलसिला मे बिहार क मुख्य सचिव नवीन कुमार कए पत्र लिखने छलाह। एहि माओवादी नेता सब कए 2006 मे पटना उच्च न्यायालय जमानत द देने छल आ ओ नेपाल लौट गेल छलाह। एहि समय ओ नेपाल मे मंत्री आ सांसद सन महत्वपूर्ण पद पर छथि। हिनकर खिलाफ लम्बित वारंट पर नेपाल सरकार क चिंता कए देखैत भारत सरकार मामला वापस लेबाक फैसला केने छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments