स्‍कूलक सुरक्षा प्राचार्य क जिम्‍मा, रात्रि पहरी क नियुक्ति तय

0
2
esamaad maithili newspaper

पटना। माध्यमिक आ उच्च माध्यमिक विद्यालय क सुरक्षा लेल रात्रि प्रहरी रखबाक निर्णय कए शिक्षा विभाग कड़ाई स पालन करबाक निर्देश देलक अछि। एहि संबंध मे माध्यमिक शिक्षा निदेशक कमल कुमार सिन्हा डीईओ कए पत्र पठा सूचित करि देलथि अछि। निर्देश क अनुसार विद्यालय क सुरक्षा लेल प्राचार्य कए जिम्मेवार बनाउल गेल अछि। विभाग एहि संबंध मे पुरान पत्र क हवाला देलक अछि। 5 जनवरी 2009 कए तात्कालीन माध्यमिक शिक्षा निदेशक भृगुनाथ उपाध्याय सुरक्षा प्रहरी रखबाक निर्देश डीईओ क माध्यम स सबटा प्राचार्य सब कए देने छलाह। मुदा विभागीय आदेश क पालन कतहु नहि भेल। हाल मे भेल बैसार मे प्राचार्य सब एहन कोनो निर्देश क बारे मे अनभिज्ञता जता देलथि। डीईओ कए पठाउल गेल नवका पत्र मे एहि गपक उल्‍लेख अछि जे जतए एकटा आदेशपाल अछि ओहि विद्यालय क प्रबंध समिति क माध्यम स रात्रि प्रहरी क व्यवस्था कैल जाए।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page