स्थानीय नेता स होएत विकास : फातमी

1
7
esamaad maithili newspaper

बेनीपुर : पूर्व केंद्रीय मंत्री अली अशरफ फातमी कहला अछि जे दरभंगाक विकास नहि हेबाक पाछु सबस पैघ कारण रहल जे एहि ठाम स अधिकतर बाहरी नेता सांसद भेलथि। ओ कहला जे दरभंगा संसदीय क्षेत्र क विकास स्थानीय नेता स संभव अछि, बाहरी नेता दरभंगाक विकास लेल गंभीर नहि होइत छथि। ओ कहला जे वर्तमान सांसद कीर्ति झा आजाद आ पूर्व विधान पार्षद संजय झा दरभंगा क विकास करबाक गप मात्र दैत छथि। बाहरी नेता कए आब दरभंगाक जनता मौका नहि दैत। पत्रकार सब स गप करैत फातमी कहला जे दरभंगा संसदीय क्षेत्र मे जाहि सड़क क पुनर्निर्माण क स्वीकृति राजद सरकार देने छल ओकर आब शिलान्यास सांसद कीर्ति झा आजाद क रहल छथि। सांसद कहैत छथि जे केंद्र मे यूपीए सरकार अछि ताहि लेल दरभंगा क विकास नहि भ रहल अछि। हुनका स पूछबाक चाही जे केंद्र मे जखन भाजपा क सरकार छल तखन केतबा ओ दरभंगाक विकास केलथि। फातमी कहला जे भाजपा नहि बल्कि राजदक प्रयास स सकरी-हसनपुर रेल लाइन बिछेबाक स्वीकृति भेटल छल। मुदा वर्तमान सांसद क निष्क्रियता स आइ तक हसनपुर तक रेल लाइन नहि बिछ सकल। बाहरी नेता कए क्षेत्र क विकास स कोनो लेना-देना नहि अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

1 COMMENT

Comments are closed.