स्तरीय बनत दरभंगाक नेहरू स्टेडियम

दरभंगा। दरभंगाक खिलाड़ी आ खेल प्रेमी क लेल नीक समाद। लहेरियासराय स्थित नेहरू स्टेडियम अर्थात पोलो मैदान कए स्तरीय बनाउल जा रहल अछि। संगहि दरभंगाक बस स्टैंड पर सेहो यात्री सुविधा क विकास करि ओकर कायाकल्प करबाक योजना कए मंजूरी भेट गेल अछि। जिला पदाधिकारी संतोष कुमार मल्ल कहला अछि जे नहेरू स्टेडियम क शीघ्र विकास करि एकरा सुविधा स लैस कैल जाएत। ओ कहला जे स्टेडियम मे क्रिकेट क लेल दूटा पिच अभ्यास कए आ चारिटा फाइनल खेलबा योग्य बनाउल जाएत। एकरा लेल दानापुर स माइट आनल जा रहल अछि संगहि मोइनुल हक स्टेडियम पटना क क्यूरेटर स सलाह-मशबिरा कैल जा रहल अछि। डीएम कहला जे स्टेडियम क चारूकात नाला क निर्माण आ सिमरसेबल पंप क संगहि नव घास सेहो लगाउल जा रहल अछि। श्री मल्ल कहला जे स्टेडियम क बाहर उत्तर दिस दूटा सिंथेटिक टेनिस कोर्ट सेहो बनत। एहि लेल लगभग 20 लाख टका आवंटित अछि। डीएम कहला जे शहर क तीनटा बस स्टैंड कादिराबाद, लहेरियासराय आ राजकुमारगंज क सौंदर्यीकरण आ ओहि ठाम सुविधा मुहैया करेबाक योजना अछि। एहि बस स्टैंड मे जतए पीसीसी प्लिंथ होएत, ओतहि यात्री शेड आ नाला क निर्माण सेहो कराउल जा रहल अछि। एकरा लेल 1.5 करोड़ क योजना बनाउल गेल अछि। आवश्यक प्रक्रिया पूरा भ गेल अछि, काज शीघ्र शुरू भ जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments