सौरभ कए साहित्‍य अकादमीक युवा पुरस्‍कार

नई दिल्‍ली। अरुणाभ सौरभ कए एहि वर्षक साहित्‍य अकादेमी युवा पुरस्‍कार 2012 लेल चयन कैल गेल अछि। एहि प्रकार स एहि साल सहरसाक धरती स दू टा पुरस्कारक घोषणा आहलादित करै बला अछि। सहरसा क चैनपुर गाम मे जन्म-9 फरवरी 1985 कए जन्‍मल अरुणाभ मैथिली आ हिन्दी दूनू भाषा मे समान रूपे लिखैत छथि। युवा पीढ़ी क एकटा मजबूत हस्ताक्षर बनि उभरि रहल सौरव कए 2011 मे नवारम्भ प्रकाशन, पटना स पहिल कविता संग्रह एतबे टा नहि प्रकाशित भेल अछि। ई संग्रह मैथिली कविताक भविष्यक प्रति संभावना जगबैत अछि। कवि कए ढेर रास शुभकामना।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments