सोनपुर मेला मे पहुंचलाह रिकार्ड विदेशी पाहुन

sonpur
पर्यटक स भरल सबटा कॉटेज, सोनपुर मेलाक उद्घाटन एक नवंबर कए
पटना। विश्व प्रसिद्घ सोनपुर मेला मे विदेशी पर्यटक संख्या मे रिकार्ड बढोतरी भेल अछि। बिहार पर्यटन विभाग हुनका लेल सब सुविधा स लैस 30टा कॉटेज क निर्माण करबैने छल। एहि आरामदायक कॉटेज क नाम ‘पर्यटक ग्रामÓ रखल गेल अछि। प्राप्त सूचनाक अनुसार सबटा कॉटेज बुक भ चुकल अछि आ किछु मे त विदेशी पाहुन आबि चुकल छथि।
उल्लेखनीय अछि जे कॉटेज क निर्माण फूस आ बांस स कराउल गेल अछि। बिहार पर्यटन निगम क महाप्रबंधक सआदत हसन मिंटू क कहब अछि जे सोनपुर मे एक स 25 नवंबर तक लगए वाला विश्व प्रसिद्घ मेला मे देश-विदेश क पर्यटक पैघ संख्या मे आबि रहल छथि। ताहि कारण स विदेशी पर्यटक क लेल अत्याधुनिक सुविधा वाला 30टा कॉटेज क निर्माण कराउल गल छल। मुदा ओ कम भ गेल। 30टा कॉटेज मे स 24टा कॉटेज मे त मेला शुरू होइ स पहिने पाहुन आबि चुकला अछि, जखन कि बाकी कॉटेज क सेहो अग्रिम बुकिंग ऑन लाइन करि लेल गेल अछि। एहि कॉटेज क लेल प्रति कॉटेज एक दिन क किराया 2300टका रखल गेल अछि। गौरतलब अछि जे एहि कॉटेज मे रहनिहार पर्यटक कए हाथी पर बैसाकए नि:शुल्क मेला क सैर कराउल जाइत। एहि पर्यटक ग्राम मे पर्यटक कए रेस्तरां क सुविधा सेहो भेटत, जाहि मे सब प्रकार क व्यंजन क संग-संग खास बिहारी स्वाद सेहो उपलब्ध कराउल जाइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें