सेवानिवृत्ति उम्र 65 करबा लेल विधेयक एहि सत्र मे

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे कॉलेज शिक्षक क सेवानिवृत्ति उम्र सीमा 62 स बढ़ाकए 65 वर्ष कैल जा रहल अछि आओर एकरा लेल विधानमंडल क चालू सत्र मे संशोधन विधेयक आनल जाएत। राज्यपाल क अभिभाषण पर चलल वाद-विवाद क उत्तर दैत मुख्यमंत्री विधान परिषद मे कहला जे हम कॉलेज शिक्षक क सेवानिवृत्ति उम्र सीमा बढ़ेबा लेल तैयार छी। एहि मे कानूनी अड़चन अछि। विधिक राय अछि जे एहि मामला मे यूजीसी क अनुशंसा कए दरकिनार करबा लेल संशोधन विधेयक आनल जाए। मुख्यमंत्री क भाषण क बीच मे एक-एक करि विरोध जाहिर करैत विपक्षी सदस्य सदन स बाहर चल गेलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments