सेना मे माओवादी लडाका कए शामिल करबाक प्रस्‍ताव पारित

काठमाण्डू। सेना समायोजन विशेष समिति क बैसार मे माओवादी लडाका क समायोजन, पुनर्स्थापना आ स्वेच्छिक अवकाश संबंधी प्रस्ताव कए किछु संशोधन क संग पारित करि देल गेल। एहि प्रस्ताव कए विशेष समिति क सचिवालय द्वारा तैयार कैल गेल छल। एहि प्रस्‍ताव कए समिति क पहिलका बैसार मे पेश कैल गेल छल। मुदा ओहि बैसार मे कोरम पूरा नहि हेबाक कारण स एकरा पारित नहि कैल जा सकल छल। बैसारक बाद जानकारी दैत समिति क सादस्य आ अर्थ मंत्री वर्षमान पुन कहला जे सचिवालय द्वारा तैयार कैल गेल प्रस्ताव कए किछु संशोधन क संग पारित करि देल गेल अछि। पुन कहला जे शिक्षा आ दर्जा क संबंध मे किछु आवश्यक परिमार्जन कैल गेल अछि। एमाले दिस स समिति मे सदस्य रहल भीम रावल कहला अछि जे परसू स लडाकक पुनर्वर्गीकरण समायोजन आओर स्वेच्छिक अवकाश क काज शुरू कैल जाएत। नेपाल मे शांति लेल इ एकटा पैघ फैसला मानल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments