सेटेलाइट स जुडल अंचल

दरभंगा। सिंहवाड़ा अंचल कार्यालय आब आपदा स लड़बा लेल तैयार अछि। इ अंचल आब सेटेलाइट गाइड इलेक्ट्रानिक यंत्र स लैस भ गेल अछि। आब कार्यालय में बैसल हाकिम पूरा क्षेत्र क सर्वे स्क्रीन पर देख सकैत छथि। आपदा प्रबंधन विभाग द्वारा उपलब्ध कराउल गेल एहि आधुनिक उपकरण में कईटा गुण अछि जे आधुनिक कंप्यूटर सन अछि। सीओ क अनुसार एहि यंत्र क एला स कईटा काज सुविधाजनक भ गेल अछि आ आपदा एला पर क्षति कए काफी हद तक कम कैल जा सकैत अछि। ओ कहला जे देखबा मे इ यंत्र जरूर छोट लगैत अछि मुदा इ एकटा आधुनिक कंप्यूरटर स कम नहि अछि। एहि यंत्र स अंचलक हर प्रकारक जानकारी चुटकी मे हासिल भ जाइत अछि। कोनो आंकडा कए एहि यंत्रक माध्यलम स जिला मुख्यापलय तक पठाउल जा सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments