सूचना प्रौद्योगिकी क्षेत्र मे बिहार कए भेटत पैकेज


तिरूअनंतपुरम। प्रधामंत्री मनमोहन सिंह कहलथि जे केंद्र सरकार बिहार मे प्रौद्योगिकी क्षेत्र क विकास लेल एक टा विशेष पैकेज देबाक विचार करि रहल अछि। प्रधामंत्री एहि ठाम 97म भारतीय विज्ञान कांगे्रस क उद्घाटन सत्र मे बाजि रहल छलाह। प्रधामंत्री कहलथि जे राष्टï्रीय विज्ञान आ इंजीनियरिंग रिसर्च बोर्ड क कामकाज मार्च स पहिने शुरू भ जाएत। इ बोर्ड सरकार अधीन रहत मुदा शोध आ धन अनुसंधाक जिम्मा प्रख्यात वैज्ञानिक क एक टा स्वतंत्र पैनलक हाथ मे रहत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments