सुभाष चन्द्र यादव कए प्रबोध साहित्य सम्मान

दिल्ली । वर्ष 2012 क प्रबोध साहित्य सम्मान वरिष्ठ कथाकार, अनुवादक आ समीक्षक प्रो. सुभाष चन्द्र यादव कए देल जाएत। इ पुरस्‍कार फरवरी मे प्रदान कैल जाएत। मैथिली आंदोलन क अगुवा आ कोलकाता विश्‍वविद्यालय क भूतपूर्व विभागाध्यक्ष डा. प्रबोध नारायण सिंह क स्मृति मे इ सम्मान स्वस्ति फाउंडेशन दिस स वर्ष 2004 स सब साल प्रदान कैल जाइत अछि। साहित्यकार एवं विश्व भारती विश्वविद्यालय क सह उपाचार्य प्रो. उदय नारायण सिंह नचिकेता क अध्यक्षता मे पांच सदस्यीय निर्णायक मंडली वर्ष 2013 लेल प्रो. सुभाष चन्द्र यादव क चयन मैथिली भाषा मे हुनक विशिष्ट योगदान क आधार पर केलक अछि।
श्री यादव कए एकटा प्रतीक चिन्ह क संगहि एक लाख टका क राशि देल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.