सुपौल आ दरभंगा मे सेहो खुलत नदी थाना

0
9
esamaad maithili newspaper

पटना। आखिरकार काफी मेहनतक बाद बिहार मे नदी थानाक शुरूआत भ गेल। मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार राज्य क पहिल नदी गश्त पुलिस स्टेशन क उद्घाटन केलथि। एहि पहिल नदी पुलिस स्टेशन (थाना) क उद्घाटन पटना जिलाक फतुहा क मौजीपुर गाम मे गंगा तट पर कैल गेल। राज्‍य मे 18टा आओर एहन स्थान क चयन नदी थाना क लेल कैल गेल अछि। मुख्‍यमंत्री क अनुसार एहि मे स दरभंगा,सुपौल,बगहा आ नौगछिया मे जल्द चारिटा आओर नदी थापस बनाउल जाएत। ओ कहला जे एहि नदी थाना क मुख्य उद्देश्य नदी आ ओकर आसपास क क्षेत्र मे सुरक्षा सुनिश्चित करब आओर नौका क अवैध परिचालन पर रोक लगायब अछि। जानकारीक क अनुसार नदी थाना मे मोटर लांच क संग अन्य सुविधा भेटत। एकटा नदी थाना मे तीनटा सहायक निरीक्षक (एसआई) समेत कुल 41टा पुलिसकर्मी नियुक्‍त भेलाह अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page