सुपर 30 इज द बेस्ट: हुसैन

पटना। गरीब बच्चा कए इंजीनियर बनबाक सपना कए साकार करनिहार पटना क आईआईटी कांचिंग सेंटर सुपर 30 दुनियाभर मे नाम कमा रहल अछि। अमरीकी राष्ट्रपति बराक ओबामा क विशेष दूत रसद हुसैन सेहो सुपर 30 कए भारत क बेस्ट इंस्टिटयूट करार देलथि अछि।
इस्लामिक संगठन क सम्मेलन कए संबोधित करैत ओबामा क विशेष दूत हुसैन कहला जे सुपर 30 भारत क सबस नीक संस्थान अछि आ अमरीकी राष्ट्रपति ओबामा क शिक्षा क क्षेत्र मे बदलाव अनबाक सपना क एकटा बेहतरीन उदाहरण अछि। हम जखन भारत क यात्रा पर अबैत छी हमरा इ सबस नीक गप लगैत अछि।
संस्थान क बच्चा स भेंट करलाक बाद हुसैन कहला जे ओ सुपर 30 क एकेडमिक माहौल स बहुत प्रभावित छथि। हुसैन कहला जे टाइम्स पत्रिका मे स्थान पाबि चुकल सुपर थर्टी एशिया क सेहो सबस नीक संस्थान अछि। डिस्कवरी चौनल सेहो सुपर 30 पर डॉक्युमेंट्री तैयार केने अछि। उल्लेखनीय अछि जे पिछला तीन साल स एहि ठामक छात्र आईआईटी प्रवेश परीक्षा मे लगातार टॉप करैत आबि रहलाह अछि।
हुसैन कहला जे इ संस्थान बहुत नीक शुरूआत केलक अछि, एहि ठाम छात्र धर्म आ जाति क भेदभाव बिसरी कए एक समुदाय क तहत रहैत छथि। हुसैन कहला जे ओ जखन अमरीका वापस जेताह त एहि ठामक अनुभव ओबामा कए विस्तार स सुनौताह। ओ कहला जे हुनकर पिता बिहार स संबंध रखैत छलाह, ताहि लेल हुनका बिहार स विशेष लगाव अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments