सुपर थर्टी मे कार्यशैली स गदगद भेला मनमोहन


पटना/नई दिल्ली। सुपर थटी संस्थापक निदेशक आनंद कुमार प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह स भेंट करि हुनका एहि संस्थाक कार्यशैली स अवगत करेलाह। प्रधानमंत्री एहि संस्थाक लक्ष्य आ उद्देश्य जानि गदगद भ गेला। आनंद प्रधानमंत्री कए आईआईटी परीक्षा आ माध्यमिक शिक्षा मे सुधार क लेल किछ सुझाव सेहो देलथि, जेकरा प्रधानमंत्री व्यावहारिक कलहथि। आनंदक अनुसार बिहार मे नजीर बनल एहि पहल मे आब दोसर राज्य क पिछड़ल आ गरीब तबका क मेधावी बच्चा कए विशेष तैयारी क लेल चुनल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments