सुधा बेचत गरम दूध

पटना। बिहार मे दूध क दोसर नाम सुधा भ चुकल अछि। एहन मे सुधा अपन दूधक नव ब्रांड बाजार मे अनबाक योजना तैयार केलक अछि। योजनाक अनुसार बिहारक लोक कए शीघ्र सुधा क बूथ पर आब गरम दूध सेहो भेटत। एकर खास गप इ रहत जे इ घर मे तैयार सामान्‍य सादा गरम दूध नहि रहत, बल्कि विभिन्न फ्लेवर मे उपलब्‍ध रहत। लोक लेल इ व्‍यवस्‍था सेहो कैल जा रहल अछि जे अहां बूथ पर सेहो इ दूध पी सकैत छी आ घर सेहो ल जा सकैत छी। सुधा डायरी क एकटा अधिकारीक कहब अछि जे सब किछु ठीक रहल त इ ब्रांड क शुरुआत अक्तूबर मे भ जाएत। ओना विद्यार्थी जे घर स बाहर रहि कए पटना सन शहर मे पढ़ाई करैत छथि हुनका लेल इ ब्रांड बहुत नीक रहत। एहन मे सुधा ओहन इलाका कए चिह्नित करि रहल अछि जाहि इलाका मे विद्यार्थी अधिक संख्या मे रहैत छथि। गरम दूध क रेट क सवाल पर अधिकारी कहला जे प्रबंधन एहि पर एहन कोनो ठोस निर्णय नहि लेलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments