सीतामढ़ी समेत चारि ठाम खुलत महिला आईटीआई

पटना । राज्य मे पांच टा नब औद्यौगिक प्रशिक्षण केन्द्र आईटीआई खुजत। एहि मे चारि टा महिला आईटीआई वा एकटा सामान्य आईटीआई शामिल अछि। फारबिसगंज, बक्सर, बेगूसराय आओर सीतामढ़ी मे महिला आईटीआई आओर छपरा मे सामान्य आईटीआई खोलबाक राज्य सरकर क प्रस्ताव अछि।
राज्य सरकार पटना क दीघा घाट मे महिला आईटीआई क लेल एकटा अत्याधुनिक भवन तैयार केलक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 4 जून कए एकर उद्घाटन करथिन। श्रम संसाधन विभाग क प्रधान सचिव अशोक चौहान कहलथि जे एहि भवन क व्यवसाय स संबंधित आधुनिक मशीन बा उपकरण स सुस्सजित कैल जाएत।
एखन एहि संस्थान मे पांच व्यवसाय क क्रमश: स्टेनोग्राफी हिन्दी, स्टेनोग्राफी अंग्रेजी, कटिंग आ सिविंग, मैकेनिक रेडियो आओर टीवी, आई एण्ड ईएसएम आ इलेक्ट्रिकल सेक्टर मे प्रशिक्षण देल जाएत। मांग क अनुसार इनफार्मेशन टेक्नोलाजी एण्ड इलेक्ट्रानिक्स सिस्टम मेंटेन्स क नब व्यावसायिक कौर्स प्रारंभ कैल जाएत।
अशोक कुमार चौहान कहला जे महिला आद्यौगिक प्रशिक्षण केन्द्र संस्थान दरभंगा, भागलपुर वा पूर्णिया मे सेहो अत्यंत आधुनिक भवन क निर्माण कार्य तेज गति से चलि रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Bahut sukhad samachar. Jahi tarhen Bihar me stri siksha aa sahbhagita badhi rahal achhi tahi lel e awasyak achhi je hunka sikshak sab aayam me protsahit kayal jay. Rajya sarkarak e vartmanak sang bhavisya nik karbak dis badhait deg achhi.

Comments are closed.