सीतामढ़ी-बैरगनिया आओर रून्नीसैदपुर खंड पर चलल ट्रेन

सीतामढ़ी । क्षेत्र क लोक क वर्षों पुरान सपना मंगलदिन साकार भ गए। रामनवमी क दिन स्टेशन पर आयोजित सभा मे सीतामढ़ी आ शिवहर क सांसद जहिना हरी झंडी दिखाकए ट्रेन कए बैरगनिया आ रून्नीसैदपुर क लेल रवाना केलथि, लोक क चेहरा खुशी स खिल उठल। सांसद क संग राज्‍यक पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू, विधायक गुड्डी चौधरी, रंजू गीता, मोतीलाल प्रसाद समेत रेल महाप्रबंधक एहि अवसर पर उपस्थित छलाह। नव रेल लाइन पर सांसद अर्जुन राय नहि केवल गाड़ी कए रवाना केलथि, बल्कि लोकक संग सफर करि रून्नीसैदपुर तक गेलथि। एहि प्रकार स नव रेलखंड पर रून्नीसैदपुर तक 23 किलोमीटर आ बैरगनिया तक 29 किलोमीटर लोकक बाट आसान भ गेल। सीतामढ़ी स बैरगनिया क लेल छह डिब्बा वाला सजल गाड़ी सीतामढ़ी स मंगलवार चारि बजे खुलल, जखनकि रून्नीसैदपुर क लेल 4.10 बजे रवाना भेल। एहि स पूर्व पूर्व सांसद अर्जुन राय आ रमा देवी परिचालन क विधिवत उद्घाटन केलथि। सभा मे सांसद राय कहला जे रून्नीसैदुपर स मुजफ्फरपुर आ बैरगनिया स रक्सौल तक नवंबर तक कार्य पूरा भ जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments