सीआरएस रिपोर्ट मे बिहार क सराहना

नई दिल्‍ली। अमेरिकी कांग्रेस क एक रिपोर्ट मे बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए भारत क सबस नीक प्रशासकक संज्ञा देल गेल अछि। कांग्रेसनल रिसर्च सर्विस (सीआरएस) क भारत आधारित रिपोर्ट मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क तारीफ़ करैत कहल गेल अछि जे नीतीश बिहार मे दोबारा कानून व्यवस्था क राज स्थापित केलथि अछि। ओ शिक्षा क बेहतरी लेल कईटा उपाय केलथि अछि आ ढांचागत क्षेत्र क विकास करि आम जनता कए फ़ायदा पहुंचेलथि अछि। एहि रिपोर्ट मे नरेंद्र मोदीक सेहो खूब तारीफ भेल अछि, जखन कि माया आ ममता स नीक काजक उम्‍मीद कैल गेल अछि। बिहार लेल इ रपट एहि मायने मे महत्‍वपूर्ण कहल जा सकैत अछि जे अमेरिकी निवेशक एहि प्रकारक रिपोर्ट क आधार पर विदेशी जमीन पर निवेशक संभावना तकैत छथि एहन मे गुजरात क संग बिहार दिस सेहो हुनकर जिज्ञासा बढत आ बिहार मे अमेरिकी निवेशक संभावना बढत। ओना ओ मधेपुरा आ मढोरा रेल कारखाना क निविदा कखनो खुलि सकैत अछि। एहि दूनू परियोचना मे स कम स कम एकटा जरूर अमेरिकी कंपनी कए भेटबाक उम्‍मीद अछि। एहन मे आन उद्यमी सेहो बिहार दिस आबि सकैत छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. bihar k lel e garv k baat ai.nitishji aa hunk pura team k lel e paigh uplabdhi ai.bihar vikash ke taraf kadam badha rahal ai.

Comments are closed.