सिलिकन वैली मे सेहो अछि बिहार क धमक : अमेरिकी राजदूत

अमेरिकी कंपनी बिहार मे बनाउत रेल इंजन

Recherd R Vermaपटना । अमेरिकी राजदूत रिचर्ड आर वर्मा कहला अछि जे सिलिकन वैली मे सेहो बिहार क धमक अछि। दू दिवसीय दौरा पर बिहार आयल रिचर्ड  मंगलदिन कईटा कार्यक्रम मे भाग लेलथि संगहि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स सेहो भेंट केलथि। पत्रकार सब संग गप करैैत ओ कहला जे बिहार क संग अमेरिका क नीक संबंध अछि। शिक्षा, स्वास्थ्य क क्षेत्र मे हम संग संग काज क रहल छी। अमेरिकी राजदूत बिहार क मुख्यमंत्री क सेहो प्रशंसा केलथि आ कहला जे बहुत जल्द अमेरिकी कंपनी बिहार मे नौ सौ डीजल लोकोमोटिव क निर्माण लेल कारखाना लगाउत। ओ कहला जे अमेरिकन कंपनी जीई नौ सौ डीजल लोकोमोटिव क निर्माण बिहार मे करत। एहि लेल ढाई बिलियन डॉलर क कांट्रेक्ट अमेरिकन कंपनी कए भेटल अछि। एकर फायदा एहि ठामक लोक कए सेहो होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. आ दरभंगा एयरपोर्ट अहिना रहत, सरकार के ध्यान जेबाक चाही

Comments are closed.