सिब्बल मंगलथि बिहार स माफी

0
2


नई दिल्ली। केंद्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बल केंद्रीय विद्यालय क नौवीं कक्षा क अर्धवार्षिक परीक्षा क प्रश्नपत्र मे बिहार क संबंध मे देल गेल अनुपयुक्त तथ्य पर खेद व्यक्त करैत बिहार स माफी मंगलथि अछि। ओ कहला अछि जे दोषी शिक्षिका क खिलाफ कार्रवाई कैल जा रहल अछि। सिब्बल एहि संबंध मे बिहारकमुख्यमंत्री द्वारा 19 जनवरी, 2010 कए लिखल पत्र क जवाब मे कहला जे ओ एहि मामला कए गंभीरता स लैत केंद्रीय विद्यालय संगठन स विचार-विमर्श करि एकर जांच करौलथि अछि। जांच क दौरान भेटल जे उक्त प्रश्न पत्र कए प्रशिक्षित शिक्षका (टीजीटी) तैयार केने छलीह। शिक्षिका क इ स्पष्टीकरण जे उक्त तथ्य एकटा पुस्तक स लेल गेल अछि, स जांच कमेटी संतुष्ट नहि भेल आओर उक्त शिक्षिका क रवैया गैरजिम्मेदाराना कहलक। ओ कहला जे एकरा लेल जिम्मेवार शिक्षका कए दंडित कैल जा रहल अछि। कमेटीक अनुशंसा पर केंद्रीय विद्यालय संगठन दोषी शिक्षका पर चार्जशीट करैत ओकर दूटा वेतनवृद्धि पर रोक लगा देलक अछि। संगहि केंद्रीय विद्यालय संगठन कए भविष्य मे एहन मामला क प्रति सतर्क रहबाक निर्देश देल गेल अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page