सिपाही भर्ती कोचिंग क नीक नतीजा सामने आएल: शाहिद

पटना । अल्पसंख्यक कल्याण मंत्री शाहिद अली खां क नजर मे अल्पसंख्यक कल्याण क लेल चलाउल जा रहल योजना सुपर हिट रहल अछि। सूबा क अल्पसंख्यक, विशेषकर मुसलमान  एहि योजना क काफी उत्साह स स्वागत केलथि अछि। प्रधान गृह सचिव सह अल्पसंख्यक कल्याण विभाग क प्रधान सचिव आमिर सुबहानी अगिला मास स अल्पसंख्यक कए शिक्षा ऋण उपलब्ध करेबाक घोषणा केलथि अछि। खां कहलथि जे सिपाही भर्ती क लिखित परीक्षा लेल मार्च मे अल्पसंख्यक अभ्यर्थी कए विशेष कोचिंग कराउल गेल छल। नतीजा सामने अछि जे 12,737 पद क लेल भेल परीक्षा मे 845 अल्पसंख्यक अभ्यर्थी लिखित परीक्षा पास केलथि अछि। एहि मे स 150 क शारीरिक परीक्षा क लेल आब कोचिंग देल जा रहल अछि। कोचिंग कार्यक्रम कए मौलाना मजहरूल हक अरबी फारसी विश्वविद्यालय क सहयोग स चलाउल जा रहल अछि। मंत्री कहला जे 2007 मे प्रथम श्रेणी मे मैट्रिक पास करनिहार अल्पसंख्यक छात्र-छात्रा कए 10 हजार टका क प्रोत्साहन राशि देल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments