सिटी ऑफ पार्क क उद्घाटन

0
3
esamaad maithili newspaper

पटना । मुख्यमंत्री सिटी ऑफ पार्क क रूप मे पटना क पहचान दुनिया मे बनाबाकघोषणा पिछला साल केने छलाह। तखन 26टा पार्क क सौंदर्यीकरण क लेल करीब 15 करोड़ टका आवंटित भेल छल। एक साल बाद उप-मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी एहि योजना क उद्घाटन बुधवार दिन राजेन्द्र नगर मे अपन आवास क सामने स्थित पार्क मे केलाह। एकर बाद कंकड़बाग मे शिवाजी पार्क, डिफेंस कालोनी पार्क, मैकडावेल पार्क सहित अन्य योजना कए समय पर जनता कए समर्पित कराबा लेल तैयारी चलि रहल अछि। बताउल जा रहल अछि जे 26 पार्क म स 18टा पूर्णता क स्थिति मे अछि। एहि तरहे गंगा घाट आ कई टा सड़क बनिकए तैयार भ चुकल अछि। मालूम हुए जे सरकार स मुख्यमंत्री शहरी आ नगर विकास योजना क तहत पटना जिला कए करीब 194 योजना क स्वीकृति पिछला वर्ष भेटल छल मिली। ओहि मे सड़क, रोशनी, नाला निर्माण क 163 योजना शामिल अछि। शेष 31 योजना तालाब, गंगा घाट, पार्क क सौंदर्यीकरण स जुड़ल अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page