साहू पोखर मे भेटत बोटिंग क मजा

मुजफ्फरपुर। शहर क बीचोबीच स्थित ऐतिहासिक साहू पोखर कए पर्यटन स्थल क रूप में विकसित करबाक योजना जमीन पर उतारल जा रहल अछि। सब योजनाबद्ध तरीका स भेल त साल क अंत तक इ पोखरि आ मंदिर नव रूप मे लोकक सामने आबि जाएत। दिसंबर तक चांदनी राति मे फव्वारा क बीच मोटर बोटिंग क मजा लेबा लेल लोक कए तैयार भ जेबाक चाही।
पोखर क निरीक्षण करबा लेल आयल बिहार राज्य धार्मिक न्यास परिषद क अध्यक्ष आचार्य किशोर कुणाल कहला जे पोखरि क नीक स सफाई करा कए एहि मे साफ आ स्वच्छ पाइन भरल जेबाक अछि। एहि मे मोटर बोटिंग क संग-संग खूबसूरत फव्वारा क व्यवस्था सेहो रहत। पोखरि क चारू दिस बनल क्यारी मे रंग-बिरंगक फूल आ सजावटी पौध लगाउल जा रहल अछि। पोखरि क उत्तर-पूर्वी कोन पर सूर्य मंदिर बनाउल जाएत। संगहि उत्तरी छोर पर एकटा मार्केट बनाउल जाएत, जाहि मे बीसटा दुकान होएत। महावीर मंदिर न्यास समिति, पटना द्वारा एकर जीर्णोद्धार कराउल जा रहल अछि। जीर्णोद्धार क प्रथम चरण मे मंदिर क मरम्मत आ रंग-रोगन क काज शुरू भ चुकल अछि। द्वितीय चरण मे पोखरि क सफाई हेबाक अछि। एहि वर्ष छठि तक एहि मे मोटर बोटें दौड़ए लागत। तीन माह तक लोग नि:शुल्क बोटिंग क मजा ल सकत ओकर बाद सशुल्‍क सुविधा भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

Comments are closed.