सात टा राज्य स बेहतर भेल बिहार क बिजली कंपनी

उत्तरप्रदेश, मध्यप्रदेश, राजस्थान, त्रिपुरा, उत्तराखंड, मेघालय आ झारखंड क वितरण कंपनी स आगू निकलल बिहार

पटना : बिहार मे बिजली चाहे देश क आन सब राज्य स खराब स्थिति मे हुए, मुदा बिहार क बिजली कंपनी क कार्यशैली सातटा राज्य क बिजली कंपनीक कार्यशैली स बेहतर भ गेल अछि। ओना सुधार क कईटा उपाय क बावजूद बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपनी लिमिटेड देश मे 26म स्थान प्राप्त केलक अछि। एकरा ‘बी’ ग्रेडिंग भेटल अछि। ऊर्जा मंत्री बिजेन्द्र प्रसाद यादव  क अनुसार बिहारक  कंपनी आगू आओर नीक प्रदर्शन करत। ओ कंपनी क अधिकारी कए बेहतर कार्य करबा लेल धन्यवाद देलथि।
ज्ञात हुए जे बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपनी उत्तरप्रदेश, मध्यप्रदेश, त्रिपुरा, उत्तराखंड, राजस्थान, मेघालय आ झारखंड क वितरण कंपनी स आगू निकलि गेल अछि। भारत सरकार क विद्युत मंत्रालय राज्य क वितरण कंपनी क पहिल बेर समेकित वार्षिक मूल्यांकन केलक अछि। मूल्यांकन प्रक्रिया देश क स्वतंत्र क्रेडिट रेटिंग एजेंसी आइसीआरए एंड सीएआरइ स कराउल गेल अछि।
विद्युत प्रक्षेत्र मे सुधार आ पुनर्गठन, विशेष क कार्यशैली आ निगमीकरण क मामल मे संतोषजनक प्रगति, राज्य सरकार दिस स समय पर अनुदान क प्राप्ति, बिहार विद्युत विनियामक आयोग क समक्ष बहुवर्षीय टैरिफ आर्डर आ समय पर टैरिफ याचिका दाखिल करबा सन महत्वपूर्ण सुधारात्मक उपाय स बिहार बिजली क मामला मे बेहतर दर्जा हासिल क सकल अछि।
बिजली चोरी कमुकदमा निपटबा लेल विशेष न्यायालय क गठन, विद्युत प्रक्षेत्र क पुनर्गठन, उपभोक्ता शिकायत मंच आदि क कार्यान्वयन, ईधन आ बिजली खरीद लागत समायोजन क प्रभावी रूप स सही तरीका स संचालन आ एहि प्रकारक अनियंत्रित खर्चा क बढ़ोत्तरी क समायोजन उपभोक्ता  स लेल जा रहल टैरिफ मासिक स्तर पर करब सन कईटा एहन काज भेल, जाहि स बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपनी लिमिटेड क कार्यक्षमता मे चमक आबि गेल।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments