साढ़े पांच साल मे आधा आबादी कए भेटत पहचान पत्र

पटना। भारतीय विशिष्ट पहचान प्राधिकरण (यूआईडीएआई) क अध्यक्ष नंदन नीलेकणी कहला जे देश क आधा आबादी कए अगिला साढ़े पांच साल क भीतर विशिष्ट पहचान पत्र भेट जाइत। पटना मे पत्रकार स चर्चा करैत ओ कहला जे 60 करोड़ लोक कए इ विशिष्ट पहचान पत्र द दैल जाइत। मुख्यमंत्री क आमंत्रण पर पटना आएल नीलेकणी कहला जे 16 अंक क नंबर वाला पहचान पत्र बिहार क लोक कए सेहो 18 माह क बाद भेटय लागत। बिहार क प्रशासन मे सूचना और प्रौद्योगिकी क बेहतर इस्तेमाल पर संतोष व्यक्त करैत प्रसिद्ध कंपनी इंफोसिस क सह-संस्थापक नीलेकणी कहला जे बिहार मे उचित तरीका स प्रशासन मे सूचना एवं तकनीक क इस्तेमाल कैल जा रहल अछि। ओ बिहार मे चलादल जा रहल ई- शक्ति कार्ड योजना पर प्रसन्नता व्यक्त करैत कहला जे सरकार द्वारा उठाउल गेल इ एकटा महत्वपूर्ण कदम अछि। एहि स पूर्व नीलेकणी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स भेंट करि सूचना एवं प्रौद्योगिकी स जुड़ल विषय पर प्रगति क जानकारी लेलथि। नीलेकणी राज्य क वरिष्ठ अधिकारी क संग बैठक करि कई महत्वपूर्ण जानकारी लेलथि आ अपनी दिस स किछु सुझाव देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments