साक्षरता मामला मे बिहार चारिम स्थान पर

नई दिल्ली । देश मे चलि रहल साक्षरता अभियान मे बिहार स काफी बेहतर नतीजा आबि रहल अछि। गुजरात, महाराष्ट्र, तमिलनाडु, आंध्र प्रदेश जइसन राज्य कए पाछु छोड़ैत बिहार चारिम स्थान पर पहुंच गेल अछि। एकरा लेल नेशनल इंस्टीटय़ूट ऑफ़ ओपेन स्कूलिंग (एनआइओएस) आ प्रौढ़ शिक्षा निदेशालय 20 अगस्त कए 17टा राज्य मे शब्द आ अक्षर ज्ञान पर आधारित एकटा मूल्यांकन परीक्षा आयोजित केने छल। एहिमे शब्द आ अक्षर ज्ञान पर आधारित सवाल छल, परीक्षा मे 18 स 76 वर्ष आयु क छह लाख 64 हजार 24 लोक शामिल भेल छल। एखन धरि चारि लाख 11 हजार 17 छात्र क नतीजा आबि चुकल अछि, बिहार क नतीजा दू भाग मे आयल अछि। पटना (आद्री) क 87.7 प्रतिशत, जखनकि बिहार (दीपाया) क 82.52 प्रतिशत छात्र सफ़ल रहल। छत्तीसगढ़ 94.03 प्रतिशत क संग पहिल आ हरियाणा 89.41 प्रतिशत क संग दोसर स्थान पर रहल। एहि मे खास गप इ सेहो रहल जे 76.59 प्रतिशत महिला सफल रहलीह जखनकि पुरुष क सफलता क प्रतिशत 75.22 रहल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments