सांसद क्षेत्र विकास योजना क बदलल गाइड लाइन

पटना । राज्य मंत्रिमंडल सांसद क्षेत्र विकास योजना लेल नव गाइड लाइन कए मंजूरी द देलक अछि। बदलल नियम क तहत सबस पैघ गप भेल जे आब एहि काज क निविदा निकलत आ सांसद मनचाहा ठेकेदार कए काज नहि द सकताह। एकर संगहि नव प्रावधान मे सांसद कए आब तय समय क भीतर अनुशंसा पठेबा लेल कहल गेल अछि आ ओकरा स्वीकृति देबा लेल सेहो समय तय करि देल गेल अछि। कैबिनेट क प्रधान सचिव रविकांत कहला अछि जे संशोधित गाइड लाइन मे प्रावधान कैल गेल अछि जे सांसद कए वित्तीय वर्ष क शुरू भेलाक तीन मास क अंदर अनुशंसा जिला योजना पदाधिकारी कए पठा देबाक अछि। पूर्व मे एहन कोनो समयसीमा नहि छल। तहिना दोसर संशोधन इ अछि जे अनुशंसा प्राप्त भेलाक 75 दिनक अंदर योजना क प्रशासनिक स्वीकृति अनिवार्य रूप स द देबाक अछि। अगर कोनो कारण स प्रशासनिक स्वीकृति नहि भेटल त जिला योजना पदाधिकारी कए 45 दिन क अंदर एकर सूचना सांसद कए देबाक अछि। अस्वीकृत करबाक कारण स सेहो सांसद कए अवगत करेबाक काज जिला योजना पदाधिकारी कए देल गेल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments