सहरसा मे लागत संस्कृतिकर्मीक मेला

कुमार आशीष
सहरसा।
भारतीय जन नाट्य संघक (इप्टा) सहरसा इकाई द्वारा नवम्बर, 2011 मे प्रादेशिक सम्मलेनक आयोजन कयल जा रहल अछि जाहि मे कोसी सांस्कृतिक महोत्सवक आयोजन सेहो कयल जायत। ई जानकारी दैत सम्मलेनक संयोजक आ रंगकर्मी राजन कुमार कहलनि जे इप्टाक प्रादेशिक सम्मलेनक मेजबानी पहिल बेर सहरसा कें भेटल अछि जे गौरवक गप थीक। एहि अवसर पर विभिन्न नाटक आ सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन रहत। नाटक लेल राजस्थान, आडिशा, असम, बिहार, दिल्ली आदि जगह सँ नाट्यदल सहरसा आबि अपन रंगमंचीय प्रस्तुति करत। संगहि रंगमंच सँ जुडल कैकटा फ़िल्मी हस्ती सेहो एहि महोत्सव मे उपस्थित हेताह। संगहि मिथिलाक लोकगायन आ लोकनाट्य विशिष्ट आकर्षणक केंद्र रहत एहि सम्मलेन मे सम्मलेनक सफल आयोजन हेतु सहरसा मे इप्टाक बिहार राज्य कमिटीक कैकटा बैसार संपन्न भ’ चुकल अछि जाहि मे तनवीर अख्तर, सीताराम सिंह, डा. दीपक गुप्ता आदि भाग ल’ चुकल छथि। कार्यक्रमक आयोजन स्थल सहरसा कॉलेजक विशाल मैदान निर्धारित कयल गेल अछि। निश्चित रुपें मिथिलाक ह्रदय स्थली सहरसा मे एहि कार्यक्रमक आयोजन सँ एहि क्षेत्र कें एकटा नव सांस्कृतिक ऊर्जा भेटतेक। कार्यक्रमक आयोजन हेतु संयोजक राजन कुमार सहित नविता वर्मा, नितेश कुमार, अनिल राम, संजय सारथी, एस.एस. हिमांशु आदि सक्रियताक संग लागल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

6 टिप्पणी

  1. बहुत शुभकामना अछि हमर ज सहरसा में ई
    महोत्सव सफल होय

  2. pahle ber esmaad parhe chhee. keo mitr fon kela je
    saharsa k news che. kumar ashis ke news le dhanvad
    our paper k seho.

  3. बहुत नीक जे सहरसा में समारोह होयत.अशेष बधाई

  4. सब स पहिले आशीषजी के धन्यवाद आ आग्रह जे आयोजक
    के मोबाइल न. देल जाय ; हमहू इप्टा में छलौ ;

Comments are closed.