सहरसा-मधेपुरा नब रेल लाईन पर परिचालन लेल तैयार

सहरसा । बिहार मे पूर्व मध्य रेलवे क अंतर्गत नवनिर्मित सहरसा-मधेपुरा बड़ी रेलवे लाईन पर शीघ्र परिचालन शुरू भ जाएत। रेलवे क आधिकारिक सूत्र क कहब अछि जे नवनिर्मित रेल लाईन क हाल मे रेलवे सुरक्षा आयुक्त (कोलकाता) निरीक्षण केलथि अछि आ ओ एहि इस खंड पर परिचालन शुरू करबाक मंजूरी द देलथि अछि। आयुक्त एहि रेलखंड पर अधिकतम 65 किलोमीटर प्रति घंटे क रफ्तार स रेलगाडी चलेबाक निर्देश देलथि अछि। सूत्र कहलक अछि जे करीब 22 किलोमीटर लंबा एहि रेखखंड पर एहि सप्ताह स रेलगाड़ी क परिचालन शुरू हेबाक संभावना अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments