सहरसा-फारबिसगंज रेलमार्ग पर परिचालन शुरू


सहरसा। कोसी प्रमंडल मे वर्ष 2008 मे आईल प्रलंयकारी बाढ़ क कारण पिछला 18 माह स बंद सहरसा- फारबिसगंज रेल मार्ग पर फेर स ट्रेनक परिचालन आरंभ भ गेल। आरंभ मे एहि रेल खंड पर पांच जोड़ी सवारी गाड़ी क परिचालन कैल जा रहल अछि। ओतहि सहरसा-मधेपुरा क बीच नव बड़ी रेल लाइन पर सेहो ट्रेन क परिचालन आरंभ भ गेल। एहि मार्ग पर तत्काल दू जोड़ी यात्री गाड़ी चलाउल जा रहल अछि। उल्लेखनीय अछि जे एहि रेल पथ पर 18 माह पूर्व कोसी तटबंध टूटलाक बाद रेल लाइन समेत रेल पुल बहि गेल छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments