सरकारी छुट्टी क सूची जारी

पटना। राज्य सरकार नव साल, यानी वर्ष 2011 क लेल सरकारी छुट्टी क सूची जारी करि देलक अछि। खास गप इ अछि जे सचिवालय आ निदेशालय मे पूर्व क भांति पांच दिनी सप्ताह रहत, जखनकि क्षेत्रीय कार्यालय मे छह दिवसीय कार्य सप्ताह वाला पूर्व क प्रणाली लागू रहत। नव कैलेंडर मे पर्व-त्योहार आदि क वजह स नौ दिन क बंदी एहन अछि, जे शनिदिन या रविदिन पडै़त अछि। यानी नौ दिन क नुकसान। होली मे दू दिन क बंदी त शनिदिन आ रविवार पडैत अछि। एहि प्रकार स कुंवर सिंह जयंती शनि, मई दिवस रवि, शब-ए-बारात शनि, स्वतंत्रता दिवस आ कृष्ण जन्माष्टमी रवि, गांधी जयंती रवि, ईद-उल-जोहा रवि आ क्रिसमस सेहो रविदिन पडैत अछि। दुर्गा पूजा मे चारि दिन सोम स गुरु अवकाश रहत आ शुक्रवार कए प्रतिबंधित अवकाश क लाभ ल लेल जाए त शनिवार स रविवार यानी 9 दिन तक लगातार छुट्टी क मजा अछि। राहत छठ मे सेहो अछि। मंगल आ बुध कए बंदी अछि। सोम कए प्रतिबंधित अवकाश (आरएच) अछि। प्रतिबंधित अवकाश क फायदा लेला पर शनि स बुधवार यानी पांच दिन तक लगातार राहत आ पूजा क आनंद।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments