सरकारी अस्पताल मे होएत आब मुफ्त मे जांच

पटना। बिहार मे दुखीत लोक लेल खुशखबरी। दरअसल स्वास्थ्य मंत्री नंदकिशोर यादव घोषणा केलथि अछि जे राज्य क सब स्तर क अस्पताल मे सब तरह क जांच क मुफ्त व्यवस्था कैल जा रहल अछि। इ सुविधा सब अस्पताल मे एक समान देल जाएत। राज्य क सबटा मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे एक सितंबर स मरीज कए एक्स-रे, खून-पेशाब आ अल्ट्रासाउंड क जांच क सुविधा मुफ्त मे भेटत। रेडियोलॉजी आ पैथोलॉजी जांच क मुफ्त सुविधा 10 सितंबर स भेटत जखनकि सिटी स्कैन आ एमआरआइ जांच निशुल्क नहि होएत।
ग्रामीण स्वास्थ्य मिशन क तहत हर गाम मे एकटा ग्रामीण स्वास्थ्य आ स्वच्छता समिति क गठन कैल जाएत। रक्तदान क प्रति जागरूकता अनबा लेल स्वास्थ्य मंत्री सब उपकरण स लैस सातटा नव एंबुलेंस कए सेहो रवाना केलथि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments