सरकारी अस्पताल मे नियुक्त हेताह 2000 आयुर्वेदिक चिकित्सक

पटना। बिहार मे आब सबटा अनुमंडल आ जिला अस्पताल मे आयुर्वेदिक चिकित्सक क नियुक्ति कैल जाइत। एकरा लेल जल्द 2000 आयुर्वेदिक चिकित्सक कए नियुक्त कैल जाएत।
राज्य क स्वास्थ्य मंत्री नंदकिशोर यादव कहला जे राज्य मे आयुर्वेदिक चिकित्सा कए बढ़ावा देबा लेल एक समिति क गठन कैल गेल अछि। ओ कहला जे राज्य मे आयुर्वेदिक चिकित्सक क कमी कए देखैत सरकार 2074 आयुर्वेदिक चिकित्सक क नियुक्ति करै जा रहल अछि। एकरा लेल अगिला माह परीक्षा आयोजित कैल जाइत।
ओ कहला जे एहि परीक्षा क माध्यम स 500 चिकित्सक क पैनल बनाउल जाएत जेकर नियुक्ति अनुबंध क आधार पर कैल जाएत। मंत्री कहला जे राज्य क सबटा प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र, अनुमंडल अस्पताल आ जिला अस्पताल मे आब आयुर्वेदिक चिकित्सक क नियुक्ति भ सकत। ओ कहला जे आयुर्वेदिक चिकित्सा कए बढ़ावा देबा लेल पटना आयुर्वेदिक महाविद्यालय कए रिसर्च सेंटर क रूप मे विकसित कैल जा रहल अछि। मंत्री कहला जे सरकार क मानब अछि जे आयुर्वेद क प्रसार स देश आ राज्य क प्राचीन गौरव पुन: स्थापित भ सकत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments