समाप्ति क अंतिम पायदान पर पोलियो

नई दिल्ली। दुनिया मे पोलियो उन्मूलन अभियान समाप्ति क अंतिम पायदान पर पहुंच गेल अछि आ एकर संगहि वैश्विक पोलियो उन्मूलन पहल  अंतिम लक्ष्य हासिल करबाक उद्देश्य स वर्ष 2010-12 क अवधि लेल रणनीतिक योजना क शुरूआत केलक अछि, मुदा धन क कमी एहि मे बाधा बनि सकैत अछि।  भारत मे पोलियो उन्मूलन क दिशा मे भारी प्रगति भेल अछि। एहि साल छह महीना स अधिक समय व्यतीत भेलाक बावजूद सबस बेसी प्रभावित दूटा राज्य बिहार आ उत्तर प्रदेश स पोलियो क घातक वायरस टाईप-1 क एकोटा  मामला सामने नहि आयल अछि, जे पोलियो उन्मूलन क दिशा मे बहुत पैघ सफलता मानल जा रहल अछि। विश्व स्वास्थ्य संगठन क ताजा रिपोर्ट मे एहि बातक खुलासा भेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments