समस्‍तीपुर मे रेल हादसा, कोई हताहत नहि

समस्‍तीपुर । गंगासागर आ ग्‍वालियर एक्‍सप्रेस क बीच आइ सांझखन टक्‍कर भ गेल। जाहि मे कई गोटे कए घायल हेबाक सूचना अछि। भेट रहल सूचनाक अनुसार ग्‍वालियर एक्‍सप्रेस पटरी स उतरि गेल छल जाहि स गंगासागर स ओ जा टकरायल। एहि दौरान ग्‍वालियर मेल क इंजन मे आगि लागी गेल अछि। जानकारीक अनुसार दूनू गाडी क चालक फरार भ गेल अछि। यात्री मे भारी रोष अछि। रेल प्रशासन राहत काज मे जुटि गेल अछि। जयनगर स सियालदह जा रहल छल गंगासागर।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments